
आशा भोसलेको ९२ वर्षको उमेरमा निधनहनुमाननगर उपकेन्द्रमा कार्यरत एक कर्मचारीको करेन्ट लागेर मृत्युविराटनगरले पायो छैटौं प्रधानमन्त्री६१ (४) अनुसार सुशीला कार्की अन्तरिम मन्त्रिपरिषद्को प्रधानमन्त्री नियुक्तनवनियुक्त प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीले पद तथा गोपनीयताको शपथ ग्रहण गर्नुभएको छसिद्धान्तले दिनेछ नागरिक सरकारनेपाली सेनाका अनुसार काठमाडौँ र भक्तपुरका विभिन्न स्थानहरूबाट हालसम्म २६ जना पक्राउबाल सुधारगृहमा झडप हुँदा ५ जनाको मृत्युहिंसात्मक रूप लिन पुग्दा मुलुकमा अकल्पनीय जनधनको क्षतिनेपाली सेनासहितका सुरक्षा फौज देशमा शान्ति सुरक्षा कायम गर्न परिचालन
News & Events
जिल्ला प्रसासनमे राहदानी वनाबै बालाके भिड लागल

सिएफएम डेस्क, ६ चैत्र ।
बढैत बेरोजगारी आ रौदीके कारण कृषिमे अपेक्षा बमोजिम उत्पादन नहि भेला सँ अखनके समयमे विदेश जाएबाला यूवासभके संख्यामे बृद्धि भऽ रहल अछि । बेरोजगारीके कारण अखन जिल्ला शासन कार्यालय सप्तरीमे राहदानी बनाबैके लेल आबै बाला युवासभके भिर लागल रहल अछि ।
जिल्ला प्रशासन कार्यालय सप्तरी राहदानी शाखाके रेकर्ड अनुसारें अहि आर्थिक बर्षके साओन महिना सँ फागुन महिना तक १० हजार २ सौ ८३ गोटे युवा राहदानी लेलक अछि । जाहिमे सँ साधारण तरफ ५ हजार ६ सौ २४ आ द्रुत सेवा तरफ ४ हजार ६ सौ ५९ गोटे राहदानी लेलक नासु तोमप्रसाद दाहाल जानारी देलैन ।
दहालद्वारा देलगेल जानकारीके अनुसार वितल बर्षसँ अहि आर्थिक बर्षमे राहदानी बनाबै बाला यूवासभके संख्या बहुत बेसी बढल अछि । वितल आर्थिक बर्षमे साधारण तरफ ५ हजार ५ सौ ४२ गोट राहदानी लेलक । मुद्दा अहि बरिष फागुन महिना भितरे ५ हजार ६ सौ २४ गोट साधारण तरफके राहदानी लऽ चुकल दाहाल बतौलक ।
चैत आ बैशाख महिनामे बहुत बेसी रुपमे राहदानीके आवेदन आविरलह वितल बर्षसभके अनुभवके आधारमे अहि बर्ष उक्त संख्या बढत शाखा जानकारी देलक । अखन जिल्ला शानि कार्यालय सप्तरीमे दैनिक ७० सँ ८५ गोट राहदानीके लेल आवेदन दैत अछि । दशैंके, दीपावली जका पावैन आ खेती पातीके काम ओरेलाके बाद चैत आ वैशाखमे राहनी लैबालाके चाप बढैत अछि दाहाल कहलैन ।
सप्तरी जिल्लामे भेल एक मात्र गजेन्द्रनारायण सिंह औद्योगिक क्षेत्र पूर्ण रुपेन सञ्चालनमे नै आबसकल आ रौदिके कारण खेतीके उब्जाउ जमिन सेहो खसले रहलापर ग्रामीण क्षेत्रके यूवासभ विदेश जाएके क्रम बढैत जाऽरहल उद्योग वाणिज्य संघ सप्तरीके महासचिव सुरेश सिंह बतौलक । विद्युतके अभावमे उद्योग आ कल कारखाना बन्द भऽ रहल आ किसानके लेल सरकारल कोनो सुविधा दैल नहि सकलक ताहिके कारण यूवासभ विदेश पलायन भऽ रहल महासचिव सिंहके कथन अछि ।
ु युवासभ विदेश जारहल अपनेमे दुर्भाग्यपूर्ण कहैत सिंह गाउँमे रोजगारीके अवसर आ वैज्ञानिक खेती प्रणालीमे ठोस कार्यक्रम बनाके देशके मानव श्रोत विदेश जाए सँ रोकपरत बतौलक ।
Program Schedule
Maithili News
07:30 am - 08:00 am
Interview Live
08:00 am - 09:00 am
Mixing Hangama
09:00 am - 10:00 am
Hindi Latest Song
10:00 am - 11:00 am
[+] View all
Public Poll
No Poll Added









