
अन्तरजाति बिआह बापतके प्रोत्साहन भत्ता वितरण नहि भेलासँ दम्पतीसभ निरास
सिएफएम डेस्क, ३१ असार ।
अन्तरजाति बिआहके प्रोत्साहन करैकेले छुट्याओल गेल रकम वितरण नहि भेलासँ सप्तरीके ६ जोड बिआह भेल दम्पति निराह भेल अछि । जिल्ला शासन कार्यालय सप्तरुी माफृत वितरण होएबाला रकम आर्थिक बर्ष ०६९÷०७० मे वितरण होएल नहि सकलाबाद ओसभ निरास भेल अछि ।
आर्थिक बर्ष ०६९÷०७० मे ६ जोडि अन्तरजातीय बिआह कएल गेल दम्पत्ती जिल्ला प्रशासन कार्यालयमे बिआह दर्ता कराके सरकारसँ प्राप्त प्रोत्साहन रकम माग केलक अछि । मुदा हालधरि ओसभ ओहि रकम नहि पाबसकल अछि जनौलक अछि ।
जिल्ला प्रशासन कार्यालयमे अहि बर्ष पहिल बेर अन्तरजातीय बिआह दर्ता कराबैबाला मे सप्तरीके शम्भुनाथ १ निवासी मुसहरु खंगके २२ बरिसके बेटा सरोजकुमार मण्डल अछि । ओ राजविराज ४ निवासी चित्रनारायण साहके २२ बरिसके बेटी दिब्या साहसंग बिआह केने छल । अहिना सीतापुर ४ निवासी २३ बरिसके सन्तोषकुमार चौधरी आ उदयपुरके पञ्चावती ५ निवासी २३ बरिषके इन्दीरा विक समेत विआह दर्ता कराके रकमके माग केने अछि ।
अहिना कुशाहा २ निवासी २३ बरिसके अशोक कुमार राम आ संक्रान्ति बजार ६ निवासी २२ बर्षिय शोभा मैनाली, गोईठी २ निवासी ४२ बरिसके शिवी रजक आ तिङ्गला ६ सोलुखुम्बु निवासी ३१ बरिसके देवुकुमारी बस्नेत, बनौला ५ निवासी २१ बरिसके कौशलकुमार रजक आ ओहि स्थान निवासी २१ बरिसके नन्दनी कुमारी धानकु मण्डल तथा काचन ४ निवासी २५ बरिसके प्रेमकुमार दाश आ सनश्चिरे ५ मोरंग निवासी २६ बरिसके सरस्वती चौधरी समेत जिल्ला प्रशासन कार्यालय सप्तरीमे विआह दर्ता केने अछि । मुदा, आर्थिक बर्ष समाप्त भऽ गेलोपर समेत ओसभ प्रोत्साहन रकम नहि पाब सकल अछि । आर्थक बर्ष ०७०÷०७१ के लेल सरकारद्वारा सार्वजनिक कएल गेल बजेटमे समेत ओहि रकमके निरन्तरता दैके उल्लेख केलोपर वितल आर्थिक बर्षके रकम हालधरि उपलब्ध नहि भेल ओसभके गुनासो अछि ।
जिल्ला प्रशासन कार्यालय सप्तरी कहलैन मन्त्रालयसँ उपलब्ध नहि भेलाके कारण रकम वितरण नहि होमय सकल जनौलक अछि । उपरसेसँ रकम नहि ऐलाबाद अहि बर्षमे एक जोड जोडी भी रकम नहि पाबलक लेखापाल माधवी कार्की बतौलक । बिआह दर्ता कराओल गेल जोडीसभ कार्यालयके नियमिति सम्पर्कमे आबिरहल छल जानकारी दैत रकम आबिते मात्र उपलब्ध कराएब लेखापाल कार्की बतौलक ।









