आशा भोसलेको ९२ वर्षको उमेरमा निधनहनुमाननगर उपकेन्द्रमा कार्यरत एक कर्मचारीको करेन्ट लागेर मृत्युविराटनगरले पायो छैटौं प्रधानमन्त्री६१ (४) अनुसार सुशीला कार्की अन्तरिम मन्त्रिपरिषद्को प्रधानमन्त्री नियुक्तनवनियुक्त प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीले पद तथा गोपनीयताको शपथ ग्रहण गर्नुभएको छसिद्धान्तले दिनेछ नागरिक सरकारनेपाली सेनाका अनुसार काठमाडौँ र भक्तपुरका विभिन्न स्थानहरूबाट हालसम्म २६ जना पक्राउबाल सुधारगृहमा झडप हुँदा ५ जनाको मृत्युहिंसात्मक रूप लिन पुग्दा मुलुकमा अकल्पनीय जनधनको क्षतिनेपाली सेनासहितका सुरक्षा फौज देशमा शान्ति सुरक्षा कायम गर्न परिचालन
News & Events

गुणस्तरीय पानि नहि आएलासँ योजना असफल

image

सिएफएम डेस्क, असार ३१ गते ।
१४ बर्ष पहिनहि निर्माण सुरु भेल सप्तरीके मोहनपुर स्थित खानेपानी योजना अखन धरि सफल नहि होब सकल अछि । करिब ३ करोडके लागतमे आर्थिक बर्ष २०५६÷०५७ मे निर्माण भेल ओहि योजना गुणस्तरीय पानि नहि आएलाके कारण असफल भेल अछि ।
    सप्तरीके मोहनपुर आ भंगाहाके वार्ड नं. ५, ६ आ ८ के लक्षित करि निर्माण कएल गेल ओहि योजनाके टंकी, भवन, कम्पाउण्ड दिवाल लगायतके काम पुरा भऽचुकल आ किछ दिन पानि सप्लाई भेलोबाद गन्दा पानि आबिरहलाके कारण दोसर ठाममे बोरिङ्ग केलोपर पानि सफा नहि आएल खानेपानी तथा सरसफाई डिभिजन कार्यालय राजविराजके शाखा अधिकृत नरेन्द्र श्रेष्ठ बतौलक ।
    सुरुमे १ सौ ५० मिटर बोरिङ्ग केलापर बेर बेर असफल होएत आबिरहला बाद अखन ५म् बेर ८ सौ फिट बोरिङ्ग करैके लक्षके साथ काम भऽरहल हुनकर बथन अछि ।
शाखा अधिकृत श्रेष्ठ ५म् बेरके प्रयास सफल होएत बतौलोपर हाल बोरिङ्ग कार्यमे संलग्न प्राविधिकसभ अहि बेर भी सफलता मिलैके सम्भावना कम रहल बतौलक । एक महिनासँ मोहनपुर ६ मे बोरिङ्ग कार्यमे खटल प्राविधिक पुरुषोत्तम कोइराला कहलैन सोमदिन धरि ६ सौ ३० फिट बोरिङ्ग केलोपर भी कडा माटि आएलासँ पानि भेटैके सम्भावना कम रहल बतौलक । “अखनधरि तक बालु, गिट्टी, ढुङ्गा मिश्रणभेल माटि आएलोपर पानि भेटैके सम्भावना छल” ओ कहलैन –“२ सौ ७० फिट बांकी बोरिङ्ग केलोपर आब निक पानि भेटत आशा कम अछि ।”
करिब १४ बर्षसँ बोरिङ्ग काममे लगानी करैत असफलता मात्र हात लागलाबाद स्वच्छ पिबैबाला पानिके आशामे बैसल मोहनपुर आ भंगाहाबासी निरास भेल अछि । ओसभ बोरिङ्ग स्थलेमे पुगि “करसकब त खेती पातीके लेल सिंचाईके पानि दिअ, पिबैबाला पानि हमरा नहि चाही” कहैन विरोध करैत आविरहल बोरिङ्ग कार्यालमे संलग्न दोसर प्राविधिक श्रीकान्त सिंहके कथन अछि ।”
    मोहनपुर ५ के घुरन चौधरी बेर–बेर बोरिङ्गके लेल कएल गेल प्रयाससँ असफलता सिबाय किछ हात नहि लागलाके कारण बालुवामे पानि हराबैके सरह भेल कहैत बरु ओहि बजेट दोसरे विकासीय काममे लगेला नीक होएत कहि आक्रोस देखेने छल । योजना असफल भेलाके कारण ओहिठाम राखल गेल लोहाके फिल्टर समेत जंग लागि नष्ट भऽरहल योजनाके रेखदेख करैत आविरहल मोहनपुर ५ के अब्दुल रजाक बतौलक ।  बर्षौ पहिनहिके योजना पुरा नरैके दिस काम नहि भेल आ बहुत कर्ष बाद हाल ५म् बेर बोरिङ्ग खनैके लेल शुरु केलापर भी अहि बेर समेत पानि पिबैके बातमे हमरा भरोसा नहि भेल हुनकर कथन अछि । विगतमे कएल गेल बोरिङ्ग स्थलमे बनाओल गेल कतेको घरके खिड्की, ढोका, घेरबेरमे प्रयोग भेल तार समेत चारी भेल स्थानीय बासीसभ बतौलक अछि ।
 

Program Schedule
Maithili News 07:30 am - 08:00 am Interview Live 08:00 am - 09:00 am Mixing Hangama 09:00 am - 10:00 am Hindi Latest Song 10:00 am - 11:00 am [+] View all
Public Poll
No Poll Added
CEA IJ CEA Advertise