आशा भोसलेको ९२ वर्षको उमेरमा निधनहनुमाननगर उपकेन्द्रमा कार्यरत एक कर्मचारीको करेन्ट लागेर मृत्युविराटनगरले पायो छैटौं प्रधानमन्त्री६१ (४) अनुसार सुशीला कार्की अन्तरिम मन्त्रिपरिषद्को प्रधानमन्त्री नियुक्तनवनियुक्त प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीले पद तथा गोपनीयताको शपथ ग्रहण गर्नुभएको छसिद्धान्तले दिनेछ नागरिक सरकारनेपाली सेनाका अनुसार काठमाडौँ र भक्तपुरका विभिन्न स्थानहरूबाट हालसम्म २६ जना पक्राउबाल सुधारगृहमा झडप हुँदा ५ जनाको मृत्युहिंसात्मक रूप लिन पुग्दा मुलुकमा अकल्पनीय जनधनको क्षतिनेपाली सेनासहितका सुरक्षा फौज देशमा शान्ति सुरक्षा कायम गर्न परिचालन
News & Events

दहेजके कारण पतिद्वारा एक शारीरिक आ मानसिक यातना

image

सिएफएम डेस्क, १९ असार ।
माग अनुसारके दहेज नहि लाबैके कारणसँ एक युवती अपने सासु, ससुर आ पतिके यातनासँ पीडित भेल अछि । महिला हिंसा न्यूनिकरणके लेल सब नागरिकमे सचेतना अभिबृद्धि करैके लेल विभिनन संघ संस्था क्रियाशील रहल बखत भेल अखनका घटनासँ समाज कोन दिशा तर्फ जा रहल अछि स्पष्ट संकत करैत अछि ।
सदरमुकाम राजविराज २ रहनिहार २६ बरिसके राखी झा दाइजोके कराण सासु, ससुर आ पतिके यातना नहि सह सक्लाबाद बाध्य भऽ बुधदिन पत्रकार सम्मेलनके आयोजना करि घटना सार्वजनिक करैत न्यायके लेल पहल कैर दैके लेल आग्रह केलक अछि ।
        सप्तरीके बरही विरपुर लैहजार भेल राखीके डेढ बर्ष पहिनहि राजविराज २ निवासी राधाकान्त झाके बेटा प्रविण संगे हिन्दु रिती रिवाज अनुसार बिआह सम्पन्न भेल छल । बिआहमे कनिया पक्षके क्षमता अनुसारके दजहे देने छल । “आर्थिक अवस्था कम्जोर भेलोपर क्षमतासँ भेल धरि बाबु दहेज देने छल ।”
        बुधदिन आयोजना कएल गेल पत्रकार सम्मेलनमे राखी कहलैन –“ओसभ दहेजमे बेसी अपेक्षा राखैके कारण दुःख तक्लीप दै छल आ नहि मानलाबाद शारीरिक आ मानसिक यातना दैके साथ मारिपीट करै छल ओ कानैत सुनौलक । पति बैदेशीकर रोजगारीके शिलशिलामे विदेशमे रहलोपर घर आएल समयमे दाइजोके कारण दुःख तक्लीप दैत आविरहल पीडितके कथन अछि ।             
        विदेशसँ कहियोकाल आएल पति माया ममताके बादसँ बेसी दारु पि के “दहेज नहि आन्लौं” कहैत कुटपिट केलक आ प्रतिकार करैके खोजलाके कारण गुण्डा लगाके जान माकरैके धम्की दैत आविरहल ओ सुनौलक । अहि बेर टोलके किछ साथीसभ मार्फत हमर उपर आक्रमण करौलक आ बचाबैके लेल खेजलापर पडोसी नागेन्द्र झा, घनश्याम झा, ललित झा, परन्धर झा, दिवाकर झा लगायतके समेत मरनासन्न करि कुटपिट कैर घायल बनौलक बतौलक अछि ।
        पत्रकार सम्मेलने उपस्थित घायल नागेन्द्र झा राखीके सौस, ससुर आ पतिके निर्देशनमे टोलके सल्लाउद्दीन, प्रवेज, रजिद, सजाद आ अकबर मिया लगायतके समूह राखी उपर अचानक आक्रमण केलक आ बचाबैके लेल गेलापर हमरा सहितके घायल बनौलक बतौलक ।       
        हुनकर माथपर अखन ८ टा टाका लागल अछि । आक्रमणकारी टोलके अखिलेश झाके को२प ५२६८ तथा बसन्त झाके स२प ७७५४ नम्बरके मोटरसाईकल समेत तोडफोड केलक ओ बतौलक । घटना बाद प्रहरी प्रशासनद्वारा सामाजिक सद्भाव भंग होएत कहैत पीडकके पक्राउ नहि केलक पीडितके आरोप अछि । घटनामे संलग्न विरुद्ध प्रहरीके जानकारी देलोपर कार्वाही नहि केलक ओसभ बतौलक । पत्रकार सम्मेलनमे उपस्थित गामबासीसभ दाइजोके कारण राखीके यातना दैबाला सौस, सासुर आ पति तथा आक्रमणमे संलग्नसभके २४ घण्टा भितर पकैरके कार्वाही नहि केलापर आन्दोलन करैके घोषणा केलक अछि ।
        अहिके बारेमे सप्तरीके निमित्त प्रहरी प्रमुख डिएसपी श्यामसिंह चौधरी कहलैन कुटपिटमे संलगन रहैबाला विरुद्ध मुद्दा दर्ता कएल गेल कहैत ओ सभ जिल्ला बाहार फरार रहल आ ओसभके कोजी काम भरहल जनौलक अछि ।

Program Schedule
Maithili News 07:30 am - 08:00 am Interview Live 08:00 am - 09:00 am Mixing Hangama 09:00 am - 10:00 am Hindi Latest Song 10:00 am - 11:00 am [+] View all
Public Poll
No Poll Added
CEA IJ CEA Advertise