आशा भोसलेको ९२ वर्षको उमेरमा निधनहनुमाननगर उपकेन्द्रमा कार्यरत एक कर्मचारीको करेन्ट लागेर मृत्युविराटनगरले पायो छैटौं प्रधानमन्त्री६१ (४) अनुसार सुशीला कार्की अन्तरिम मन्त्रिपरिषद्को प्रधानमन्त्री नियुक्तनवनियुक्त प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीले पद तथा गोपनीयताको शपथ ग्रहण गर्नुभएको छसिद्धान्तले दिनेछ नागरिक सरकारनेपाली सेनाका अनुसार काठमाडौँ र भक्तपुरका विभिन्न स्थानहरूबाट हालसम्म २६ जना पक्राउबाल सुधारगृहमा झडप हुँदा ५ जनाको मृत्युहिंसात्मक रूप लिन पुग्दा मुलुकमा अकल्पनीय जनधनको क्षतिनेपाली सेनासहितका सुरक्षा फौज देशमा शान्ति सुरक्षा कायम गर्न परिचालन
News & Events

दोसर जातिसँ विआह केलापर गाम निकाला

image

सिएफएम डेस्क, ९ असार ।
दोसर जातिसँ बिआह केलाबाद गाउँ निकालामे परल सप्तरीके जमुनी मधेपुरा ९ के २ युवा युवती अखन धरि घर फिर्ता नहि होएले पाओलक अछि । जमुनी मधेपुरा ९ के उमेश सरदार आ रबिता साह गाउँ निकाला परलाबाद एक बर्षसँ सप्तरीके पिप्रापूर्व गाविसमे रहैत आविरहल अछि ।
    एके गाममे रहैत आविरहल देवकुमार सरदारके बेटा उमेश आ रविता २०६७ चैत ४ गते गामसँ भागि भारतके हरियाणा पुगि जमुनानगर स्थित शिव मन्दिरमे बिआह केने छल । ओहि ठाममे ९ महिना रहि काठमाण्डौ फिर्ता भेलाबाद बेटाके भी जन्म भेल उमेश बतौलक । निचा जातिके लडका संगे बिआह केलक हैत लैहर पक्षसँ हमरा कुटपिट करैत विष समेत खुवाके मारैके योजना बनौलक रविताल बतौलैन । “माता कहलैन उमेशके छोडि दे, दोसर लडका संगे बिआह करिदेबो कहैत दबाब दैत छल ।” ओ कहलैन – दरदियाद (भाई भैयारी) समेत मिलके छोट जातिके लडकासंगे बिआह केलक कहि हमरा दुनुके धम्की देलाके बाद बाध्य भऽ पिप्रा पूर्व आबिके रहलगलौं ।”
    पिप्रापूर्वमे रहलो पर भी जुमुनी मधेपुरासँ लडकासभ आवि धम्काबैके काम केलक, गाममे पिताके समेत धम्केलक, उमेश दुखेसो सुनौलक । वितल बर्ष रबिताके माता रामवती समेत पिप्रापूर्वक जाके बच्चाके ओहि ठाममे छोडि आ दोसर लडकासंगे बिआह कैर दैके कहैत हमरा संगे जायके लेल दवाव देलक पिप्रा पूर्व ४ के घोघर सरदारल बतौलक । बाँतर (दलित) जातिके लडकासँ साह जातिके लडकी संगे विआह केलाके कारण उमेश आ रबिता उपर धम्की ऐलोपर पिप्रापूर्व ४ मे बातर जातिके लोकसभके बाहुल्यता रहलाके कारण ओसभके सुरक्षा केलक घोघरके कथन अछि । हमसभ कष्ट काटि बाहार रहैके लेल बाध्य हेलापर अखन धरि घर जाहिके बातावरण नहि बनल ओसभके अवस्था बुझैके लेल पुगल मानवअधिकारकर्मी आ सञ्चारकर्मीके उमेश आ रविता गुनासो सुनेलक । “अत ऐलोपर बच्चाके मारिदैके धम्की आबैले नहि छोडने अछि ओ सभ कहलैन “घर छोडिके भी हमर जिउ ज्यान धरापमे परल अछि ।
    उमेशके बाबु देवकुमार सरदार बेटा पुतहुके कारण जमुनी मधेपुरामे हम सभ उपर समेत लडकी पक्षके आफन्तसँ बारम्बार धम्कि आविरहल बात बतौलक अछि ।
    वितल चैत २ गते शान्ति सुरक्षाके माग करैत जिल्ला प्रशासन कार्यालय सप्तरीमे निवेदन देलोपर और धम्की आविरहल हुनकर कथन अछि । “बेटा पुतोहुके सकुशलसँ घर करैले पाबतियै त हेतियै, देवकुमार कहलैन –ओहि के लेल मानवअधिकारकर्मी आ सञ्चारकर्मी समक्ष पहलके आग्रह केलक अछि ।

Program Schedule
Maithili News 07:30 am - 08:00 am Interview Live 08:00 am - 09:00 am Mixing Hangama 09:00 am - 10:00 am Hindi Latest Song 10:00 am - 11:00 am [+] View all
Public Poll
No Poll Added
CEA IJ CEA Advertise