आशा भोसलेको ९२ वर्षको उमेरमा निधनहनुमाननगर उपकेन्द्रमा कार्यरत एक कर्मचारीको करेन्ट लागेर मृत्युविराटनगरले पायो छैटौं प्रधानमन्त्री६१ (४) अनुसार सुशीला कार्की अन्तरिम मन्त्रिपरिषद्को प्रधानमन्त्री नियुक्तनवनियुक्त प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीले पद तथा गोपनीयताको शपथ ग्रहण गर्नुभएको छसिद्धान्तले दिनेछ नागरिक सरकारनेपाली सेनाका अनुसार काठमाडौँ र भक्तपुरका विभिन्न स्थानहरूबाट हालसम्म २६ जना पक्राउबाल सुधारगृहमा झडप हुँदा ५ जनाको मृत्युहिंसात्मक रूप लिन पुग्दा मुलुकमा अकल्पनीय जनधनको क्षतिनेपाली सेनासहितका सुरक्षा फौज देशमा शान्ति सुरक्षा कायम गर्न परिचालन
News & Events

जिविस लगायत सप्तरीके ७७ टा गाविस न्यूनतम् शर्त मापनमे असफल

सिएफएम डेस्क, २ असार ।
सप्तरीके ७७ टा गाविस न्यूनतम शर्त मापनमे असफल भेल अछि । स्थानीय निकाय वित्तीय आयोगके सचिवालयद्वारा प्रकाशन कएल गेल नतिजाअनुसार सप्तरीके ७७ टा गविसद्वारा न्यूनतम् सर्त पुरा नहिकरलापर असफल भेल अछि ।
मुलुकमे सबसँ बेसी १ सौ १४ गाविस रहल सप्तरीमे आर्थिक बर्ष ०६७÷०६८ मे ३७ टा गाविसद्वारा मात्र न्यूनतम शर्त पुरा कर सकल अछि । सप्तरीके कंचनपुर, मौवाहा, मल्हनियाँ, बेलही, डाढा, महदेवा, भगवतपुर, सिम्राहा सिंगियौन, मलेकपुर, दिघवा, मलेठ, को. बर्साइन, रामनगर, बोदे बर्साइन, टिकुलिया, हरिपुर, कोचाबखारी, फकिरा, बक्धुवा, लोहजारा, जण्डौल, प्रसवनी, हरिहरपुर, पकरी, भुती, तरही, बेल्ही चपेना, लौनिया, विषहरिया, रम्पुरा मल्हनियाँ, मैनाकडेरी गाविस न्युनतम शर्त पुरा नहि करि असफल भेल अछि ।
अहिना त्रिकोल, धवापुर, औरही, नर्घो, धनगढी, सारस्वर, रौतहट, २ नं. योगिनियाँ, पोर्ताहा, भारदह, पन्सेरा, बनैनिया, रुपनगर, खोक्सर प्रवाहा, कल्याणपुर, शम्भुनाथ, गोबरगाढा, पिप्रा पूर्व, घोघनपुर, रामपुर जमुवा, फर्सैठ, इनर्वा फुलबडिया, बनौली, मैन्हा सहश्रबाहु, मानराजा, कटैया, कविलासा, तेरहौता, बनौला, बसविट्टी, देउरी, बैरवा, बथनाहा, बभनगामाकट्टी, ब्रहमपुर, अर्नाहा, पत्थरगाडा, सिस्वा बेल्ही, मधुपट्टी, दौलतपुर, हर्दिया, पिप्रा पश्चिम, तिलाठी, देउरी आ सकरपुराद्वारा समेत न्यून्तम शर्त पुरा नहि कऽ सकल अछि ।
अहिना जिल्ला विकास समिति सप्तरी भी विगत दुई आर्थिक बर्षसँ शर्त मापनमे लगातार असफल होएत आविरहल अछि । न्यूनतम शर्त पुरा करि कार्य सम्पादनमे असफल भेल सप्तरी जिविसके २० प्रतिशत अनुदान कटौती होएत बतौलक अछि । जिविस सप्तरीद्वारा कार्य सम्पादनके आधारमे ४३ अंक मात्र प्राप्त कर सकल अछि । अहिसँ पहिनहि वितल आर्थिक बर्ष ०६६÷०६७ मे समेत बजेट व्यवस्थापन, वित्तीय श्रोत परिचालन, बजेट निकासा आ कार्यक्रम कार्यान्वयनमे असफल भेलाके कारण ३९ अंक मात्र पाबलक सप्तरी जिविस असफलके सूचीमे परल अछि ।
    आ.ब. ०६६÷०६७ मे सप्तरीके औरही, बनैनियाँ, बनरझुला, बनौला, भगवतपुर, भुतही, डाढा, धनगढी, खडगपुर, खोक्सर प्रवाहा, कोइलाडी, मधवापुर, मल्हनियाँ, मौवाहा, पटेवा, रामनगर, सिम्राहा सिंगियौन, तेरहौता, टिकुलिया, त्रिकोल, हनुमाननगर, पत्थरगाडा करि २२ टा गाविसद्वारा न्यूनतम शर्त पुरा नहि करलासँ असफल भेल छल । अहिना सप्तरीके एक मात्र राजविराज नगरपालिका लगातार दुई आर्थिक बर्षसँ न्यूनतम शर्त मापनमे सफल होएत आविरहल अछि ।

Program Schedule
Maithili News 07:30 am - 08:00 am Interview Live 08:00 am - 09:00 am Mixing Hangama 09:00 am - 10:00 am Hindi Latest Song 10:00 am - 11:00 am [+] View all
Public Poll
No Poll Added
CEA IJ CEA Advertise