आशा भोसलेको ९२ वर्षको उमेरमा निधनहनुमाननगर उपकेन्द्रमा कार्यरत एक कर्मचारीको करेन्ट लागेर मृत्युविराटनगरले पायो छैटौं प्रधानमन्त्री६१ (४) अनुसार सुशीला कार्की अन्तरिम मन्त्रिपरिषद्को प्रधानमन्त्री नियुक्तनवनियुक्त प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीले पद तथा गोपनीयताको शपथ ग्रहण गर्नुभएको छसिद्धान्तले दिनेछ नागरिक सरकारनेपाली सेनाका अनुसार काठमाडौँ र भक्तपुरका विभिन्न स्थानहरूबाट हालसम्म २६ जना पक्राउबाल सुधारगृहमा झडप हुँदा ५ जनाको मृत्युहिंसात्मक रूप लिन पुग्दा मुलुकमा अकल्पनीय जनधनको क्षतिनेपाली सेनासहितका सुरक्षा फौज देशमा शान्ति सुरक्षा कायम गर्न परिचालन
News & Events

बेटीके हत्यामे संलग्न सप्तरीके बथनाहाके चन्द्र राउत आ हत्यामा संलग्न मोहन साह प्रहरीद्वारा सा

image

सिएफएम डेस्क, ३१ जेठ ।
दोसर जातिके लडकासँ प्रेम विआह केलक कहैत बेटीके हत्या कराबैबाला पिता आ एक भाडाके हत्याराके शुक्रदिन जिल्ला प्रहरी कार्यालय सप्तरीद्वारा सार्वजनिक कएल गेल अछि ।
सप्तरीके बथनाहा गाविस–७ रहैबाला चन्द्र राउत बरै आ को. बर्साइन ३ के मोहन साहके पत्रकार सम्मेलन मार्फत सार्वजनिक केलक अछि । बथनाहा–७ मे घर भेल सत्यनारायण साहके १७ बरिसके बेटी अरुणकुमार साह आ चन्द्र राउतीके १६ बरिसके बेटी रुबी राउत बरै भागिके प्रेम बिआह करि भारतके दिल्लीमे रह लागल छल । लडकीके दादा रामेश्वर राउतके बसोबास सप्तरीके हनुमाननगरमे रहलासँ लडका लडकी भागलाबाद ओहि ठाममे दुनु पक्ष बीच पञ्चायती करि लडका लडकी फिर्ता लाबैके आ लडकी पक्षके लेल लडका पक्षद्वारा भगा लगेलाके कारण ओहि बापत ५० हजार रुपैयाँ दैके पञ्चायतीमे सहभागी सभ सहमती करौने छल ।
लडका पक्षके आदमीसभ ओहि निर्णय मानलौं कहैत आईन्दा लडकी लडका सँ सम्पर्क करलापर लडकीके पिता जरिवाना स्वरुप एक लाख रुपैया तिरैके प्रस्ताव राखला बाद ओहि प्रस्ताव दुनु पक्षके मान्य भेलाबाद लडका लडकी दुनुके दिल्लीसँ भारतके दरभंगा बोलाओल गेल पत्रकार सम्मेलनमे प्रहरी उपरिक्षक सञ्जय सिंह बस्नेत बतौलक ।
लडका लडकीके लेबके लेल अरुणके पिता सत्यनारायण साह आ रुवीके काका शिवेन राउत बरै अपन पक्षके किछ आदमी समेतके लऽके दरभंगा पुगलाबाद ओहि शर्त अनुसारे २९ हजार पाँच सौ रुपैया भारु सत्यनारायणद्वारा शिवेनके बुझौने छल । दरभंगासँ अरुणके घर लाबलक आ रुवीके भारतके मधुवनी जिल्लाके अमरैहिया स्थित फुपु लग राखलगेल छल पत्रकार सम्मेलनमे जानकारी देलक ।
किछ दिन बाद चन्द्र राउत अमरैहिया जाके बेटीके भारतीय सिमावर्ती क्षेत्र सप्तरीके रम्पुरा मल्हनियाँ–५ स्थित मामा घरमे लावि राखने छल । वितल जेठ ७ गते साँझ चन्द्र राउत मोहन साह सहितके तीन गोटके पैसा लके बेटीके हत्या कराबैके पूर्व योजना मुताविक रम्पुरा मल्हनियाँ साथे लजाके बेटीके बथनाहा स्थित घर जा कहि ओहि तीन गोटके साथ लगाके पठाओल गेल प्रहरी उपरिक्षक बस्नेत बतौलक ।
शुरुमे रुविके हत्या करैके लेल हत्यारासभ ३० हजारके माग केलोपर दश हजारम सहमत भेलाबाद जेठ ७ गते रातिके रुबीके हत्या कएल गेल प्रहरीके कथन अछि । रुविके हत्या पश्चात पेट्रोल ढारि आगि लगाओल गेल अवस्थामे हुनकर लाश कालि भने भोर साढे ८ बजे कोइलाडी ९ स्थित बच्चा साहके फुलबारीमे फेला परल छल ।
नहि चिन्हैके अवस्थामे रहल लाश एक साता बाद मात्र सनाखत भेलाबाद रुबीके बाबुके प्रहरी केने छल । ओहि बाद मात्र हत्यामे संलग्न तीन गोट मध्ये मोहन साहके पक्राउ केलक प्रभरीके कथन अछि । अनुसनधानमे समस्या होएत कहैत हत्यामे संलग्न भऽके हाल फरार रहेल और दुके नाम प्रहरी सार्वजनिक नहि कर चाहलक ।    
    दारुके दोकान सञ्चालन करैत आविरहल चन्द्र राउत कहाँ मोहन साह दाबरु पियेके लेल जाई के क्रममे बेटीके बारेमे सोध खोज करलापर भागल बेटी फिर्ता लाबलक आ फेर अरुणसंगे सम्पर्क करलापर एक लाख रुपैया लडका पक्षके हमरा बुझाब परत लगायतके कारणसँ हम तनावमे रहल चन्द्र मोहनके बतौने छल ।
    ओहि क्रममे मोहनसँ तीस हजार रुपैया खर्च करब त बेटीके समस्या सल्टा दैके प्रस्ताव हमरा लग केलक चन्द्रके उदृत करैत प्रहरी प्रमुख बस्नेत बतौलक । बात बातेमे दुनु बीच सहमती भऽके हत्याके योजना बनल छल । शुरुमे मोहनद्वारा ही काम कराबैके ३० हजार माग केलापर बादमे दश हजारमे सहमती भेलाबाद रुवीके हतया भेल अछि ।
 दुनु गोटेके हाल न्यायिक हिरासतमे राखि अनुसन्धान भरहल तथा फरार हत्यारासभके खाजी कार्य तिब्र गतिमे भऽरहल प्रहरी जनौलक अछि ।

Program Schedule
Maithili News 07:30 am - 08:00 am Interview Live 08:00 am - 09:00 am Mixing Hangama 09:00 am - 10:00 am Hindi Latest Song 10:00 am - 11:00 am [+] View all
Public Poll
No Poll Added
CEA IJ CEA Advertise