
डाइनके आरोपमे डिमनके एक महिला उपर कुटपिट

सिएफएम डेस्क, ३० जेठ ।
कथित बोक्सीके आरोपमे सप्तरीमे एक महिला उपर कुटपिट भेल अछि । डिमन गाविस ६ की ४० बरिसके इमली देवीके किछ स्थानीय व्यक्तिद्वारा कुटपिट केलक अछि । कुटपिटसँ घायल भेल इमली उपचारके लेल स्थानीय सगरमाथा अञ्चल अस्पतालमे भर्ना भेल अछि । हुनकर हात पैर, पिठ आ कंठमे चोट लागल अछि ।
बुधदिन साँझ आकस्मिक कक्षमे भर्ना कएल गेल इमलीके बृहस्पतिदिन स्वास्थ्य अवस्थामे सुधार आएल उपचारमे संलगन चिकित्सकसभ बतौलक अछि । हमर उपर डाइन कहैत अमानवीय व्यवहार आ कुटपिट करैबाला उपर कडा कार्वाहीके ओ संचारकर्मी समक्ष माग केलक ।
घटनाअनुसार परोसी कुचन रामके १५ बरिसके बेटी प्रेमकला किछ दिन अने बिरामी रहैत आविरहल छल । प्रेमकलाके इमली देवीये टुनामुना करि बिरामी बनौलक कहैत कुचन राम, भोला राम, विरेन्द्र राम, संजय राम लगायतद्वारा बुधदिन साँझ लाठीसँ कुटपिट करि घायल बनौलक पीडित इमलीदेवी बतौलक । ओहि दिन घरमे बृद्ध सासु ससुरा मात्र रहलाके कारण ओसभके नियन्त्रणमे लऽके दलानमे लावि हमरा कुटपिट केलक इमली देवीके कथन अछि । “तु डायन ची, टुनामुना करि प्रेम कलाके विरामी बनेल्ही” कहैत लाठी आ पैरसँ प्रहार करि घायल बनौकल – ओ कहलैन –“होहल्ला भेलापर गाम बासीके साथ डिमन स्थित प्रहरी चौकीके प्रमरीसभ मुकदर्शक बनलछल हुनकर दुखेसो अछि ।” कुटपिटमे संलग्न कहलगेल भोला राम विघटित प्रतिनिधि सभाके सदस्य एवं पूर्व सिंचाई राज्यमन्त्री रमणी देवी रामके पति अछि ।
हम घटना स्थलेमे बेहोस भेलबाद गामबासीके सहयोगमे उपचारके लेल अस्पताल धरि लावि पुगेलक ओ बतौलिन । अस्पताल भितर रहल लैंगिक हिंसा सम्बन्धी एकद्वारा संकट व्यवस्थापन केन्द्रके प्रतिनिधि रेणु साफी घटनाके बारेमे विस्तृत विरण प्रहरीमे बुझौलक बतौलक अछि । ओ एक साताके अवधिमे अस्पतालमे महिला हिंसा सम्बन्धी ४ टा केस आएल जानकारी देलक अछि ।
अधिकारकर्मी जंगबहादुर सिंहद्वारा २१म् शताब्दीमे भी ऐहेन खालके घटना भेलासँ दुर्भाग्यपूर्ण भेल कहैत दोषी उपर कडा कार्वाही होबपरल माग केलक अछि । अहिना घटनाकेबारेमे आवश्यक अनुसनधन भऽरहल आ दोषी जे कोई भी अछि कडा कार्वाही करब जिल्ला प्रहरी कार्यालय सप्तरी जनौलक अछि ।









