
आशा भोसलेको ९२ वर्षको उमेरमा निधनहनुमाननगर उपकेन्द्रमा कार्यरत एक कर्मचारीको करेन्ट लागेर मृत्युविराटनगरले पायो छैटौं प्रधानमन्त्री६१ (४) अनुसार सुशीला कार्की अन्तरिम मन्त्रिपरिषद्को प्रधानमन्त्री नियुक्तनवनियुक्त प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीले पद तथा गोपनीयताको शपथ ग्रहण गर्नुभएको छसिद्धान्तले दिनेछ नागरिक सरकारनेपाली सेनाका अनुसार काठमाडौँ र भक्तपुरका विभिन्न स्थानहरूबाट हालसम्म २६ जना पक्राउबाल सुधारगृहमा झडप हुँदा ५ जनाको मृत्युहिंसात्मक रूप लिन पुग्दा मुलुकमा अकल्पनीय जनधनको क्षतिनेपाली सेनासहितका सुरक्षा फौज देशमा शान्ति सुरक्षा कायम गर्न परिचालन
News & Events
राजविराज भन्सार कार्यालयके टेण्डर प्रक्रिया त्रुटिपूर्ण रहल
सिएफएम डेस्क, १७ जेठ ।
राजविराज भन्सार कार्यालयद्वारा ३९ थान सवारी साधनके टेण्डर दर्ता प्रक्रिया त्रुटिपूर्ण केलक कहैत उत्पन्न विवादके कारण ओहि कार्यालयद्वारा ककर नाममे टेण्डर स्वीकर करत निर्णय अखनतक नहि लेब सकल अछि ।
टेण्डर दर्ताके अन्तिम दिन वितल जेठ १६ गते कुनौली स्थित भन्सार कार्यालयमे एक समूहद्वारा दोसरके टेण्डर भरैले रोक लगेलाबाद समय बाँकी रहलोपर दर्ता प्रक्रिया रोकल गेल छल । दोसर दिन राजविराज स्थित जिल्ला प्रशासन कार्यालयमे बाँकी रहल टेण्डर दर्ता करत कहि सुचना निकाललाबाद टेण्डर भरैके लेल आबैबाला मे सँ बहुत ओहिना फिर्ता भेल छल ।
जेठ १७ गते आधा भण्टाके लेल मात्र टेण्डर दर्ता चालु करि समय सकल कहैत हमरासभके टेण्डर दर्ता करैले नहि मानलक उद्योग वाणिज्य संघ सप्तरीके सल्लाहकार अरुण कुमार प्रधान बतौलक । १७ गते भोर साढे १० बजेबाद टेण्डर दर्ता करैले नहि मानल ओ कहलैन –अहिना दर्जन लोक टेण्डर प्रक्रियामे भाग लैके लेल ओहिना फिर्ता होएल परल । दोसर दिन सुचना निकाललाके बाद भी कार्यालय समय भित हमरासभके टेण्डर लैके लेल नहि मानलक कहैत लिलाम साकार करैले आएलसभ प्रमृुख जिल्ला अधिकारी हरिकृष्ण पौडेल समक्ष वितल शुक्रदिनने उजुरी केने छल ।
भन्सार अधिकृत अपन पक्षके आदमीके मात्र टेण्डरमे सहभागी कराबैके लेल ओहि दिन आधा घण्टाके लेल मात्र टेण्डर दर्ता खुल्ला करि हमरासभके प्रतिस्पर्धासँ बञ्चित केलक प्रधान लगायके असन्तुष्ट पक्षसभे आरोप अछि । असन्तुष्ट पक्षसभ उद्योग वाणिज्य संघ सप्तरीमे अहिके बारेमे जानकारी करौलाके बाद शुक्रदिन बैठल संघके बैठकसँ पुनः टेण्डर करैले माग केलक अछि । संघद्वारा ऐहेन माग केलोपर भन्सार कार्यालय दर्ता करल गेल टेण्डर आ्हवान करैने निर्णय सेहो नहि कर सकल अछि ।
८ टा चारचक्के गाडी आ ३१ टा मोटरसाईकलके लिलामीके लेल आह्वान कएल गेल टेण्डर खोललाके बादो विना निर्णय ओहिना थन्कलाके कारण भितरी चलखेल होब सकैत अछि असन्तुष्ट पक्षके कथन अछि । भन्सार प्रमुख ध्रुवराज विश्वकर्मा टेण्डर दर्ता करैके अन्तिम जेठ १६ गतेके दिन एक पक्ष अपन मात्र टेण्डर दर्ता करि दोसरके टेण्डर फाड लगलापर उत्पन्न विवादके कारण ओहि दिन आधा घण्टा पहिनहि टेण्डर दर्ता रोकि कालिके लेल सूचना निकालल गेल बतौलक ।
वितल दिनके बाँकी समयावधिके लेल मात्र जेठ १७ गते टेण्डर दर्ता केलक अछि । ओ कहलैन “ओहिमे भी उजुरी परलाबाद प्रमुख जिल्ला अधिकारीके सल्ला अनुसारे भन्सार विभागमे अहि बारे जानकारी करौलक अछि । विभागसँ प्राप्त निर्देशन पश्चात मात्र कि करब कहि टुंगो लागैत अछि, विश्वकर्मा कहलैन ।
Program Schedule
Interview Live
08:00 am - 09:00 am
Mixing Hangama
09:00 am - 10:00 am
Hindi Latest Song
10:00 am - 11:00 am
National News
11:00 am - 11:20 am
[+] View all
Public Poll
No Poll Added









