आशा भोसलेको ९२ वर्षको उमेरमा निधनहनुमाननगर उपकेन्द्रमा कार्यरत एक कर्मचारीको करेन्ट लागेर मृत्युविराटनगरले पायो छैटौं प्रधानमन्त्री६१ (४) अनुसार सुशीला कार्की अन्तरिम मन्त्रिपरिषद्को प्रधानमन्त्री नियुक्तनवनियुक्त प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीले पद तथा गोपनीयताको शपथ ग्रहण गर्नुभएको छसिद्धान्तले दिनेछ नागरिक सरकारनेपाली सेनाका अनुसार काठमाडौँ र भक्तपुरका विभिन्न स्थानहरूबाट हालसम्म २६ जना पक्राउबाल सुधारगृहमा झडप हुँदा ५ जनाको मृत्युहिंसात्मक रूप लिन पुग्दा मुलुकमा अकल्पनीय जनधनको क्षतिनेपाली सेनासहितका सुरक्षा फौज देशमा शान्ति सुरक्षा कायम गर्न परिचालन
News & Events

आर्थिक अनियमितता करेवाला ५ दर्जनसं वेसी गाविस सचिवके नाममे उजुरी

 

सिएफएम डेस्क, जेठ १७ ।
सप्तरीके विभिन्न गाविसमे कार्यरत रहला पर आर्थिक अनियमितता करैबाला ५ दर्जनसँ बेसी गाविस सचिवके नाममे उजुरी परलाके बादो सिडिओ कार्यालयद्वारा कार्वाही नहि कर सकल अछि । गाविसके विकास निर्माण तथा सामाजिक सुरक्षा भत्ता लगायतके शिर्षकमे सचिवद्वारा लाखौं रकम अनियमितता केलक कहैत सिडिओ कार्यालयमे उजुरी केने अछि ।
कार्यालयद्वारा देलगेल जानकारी अनुसारे दर्ता भेल उजुरी मध्ये अधिकांशमे गाविस अनुदान रकम आ सामाजिक सुरक्षा भत्ता अनियमितता केलक आरोप लगाओल गेल अछि । जाहि मे सँ सारस्वर गाविसमे भवनके लेल आएल रकम कागज मिलान करि दुरुपयोग केलक कहैत उजुरी परल शाखा अधिकृत विष्णुरञ्जन बराल बतौलक । कार्यालयमे परल उजुरी मध्ये तत्कालीन स्थानीय विकास मन्त्री नारायण काजी श्रेष्ठद्वारा अनुगमन सहित कार्वाहीके लेल सिफारिस भेल बैरवा गाविसके सचिव देवनारायण साह, बनैनियाँके देवनारायण यादव, रामदत्त यादव, ब्रम्हपुरके प्रदिपलाल कर्ण, प्राविधिक सहायक हंसराज यादव, बथनाहाके सचिव नारायण यादव लगायत निलम्बमे परल बाँकीके उजुरी उपर छानविन भऽरहल बरालके कथन अछि ।
बरालले देलगेल जानकारी अनुसारे कार्यालयमे परल उजुरी मध्ये तत्कालीन बैरवा गाविस सचिव मदन झा, बनैनियाके देवनारायण यादव, दिघवाके नारायण यादव आ कोइलाडीके नन्दकिशोर यादवके फाइल अख्तियारमे पठाओल गेल अछि । अहिके अतिरिक्त तत्काल खडगपुरके गाविस सचिव देवेन्द्र चौधरी, देउरीक ताहिर हुसेन, भगवतपुरके तेजनारायण मण्डल, सिम्रहा सिंगियौनक नन्दी यादव, १ नम्बर योगिनियाके विन्देशवर मण्डल, पातोके रामदत्त यादव, सारस्वरके राम बहाुर यादव, बोदे बर्साइनके अवधनारायण साह, ईटहरी विष्णुपुरके दानालाल यादव, १ नं. योगियिनाके दोसर सचिव रामदेव यादव, गोबरगाढाके मिश्रीलाल ठाकुर, भारदहके कवितलाल यादव, औरहीके महिनारायण चौधरी, रामनगरके रामदत्त यादव, कञ्चनपुरके नारायण चौधरी, लगायतके नाममे सिडिओ कार्यालयमे उजुरी दर्ता भेल शाखा अधिकृत बराल जानकारी देलैन । 
अहिना पकरीके मिश्रीलाल यादव, घोघनपुरके विन्दुलाल चौधरी, बोरियाके ओमप्रकाश ठाकुर, बथनाहाके बुद्धिलाल मण्डल, बनौलाके देवेन्द्रप्रसाद चौधरी, तेरहौताके रामनारायण शर्मा, डिमनके दशरथ मण्डल, दिघवाके मिश्रीलाल यादव, फकिराके रामप्रसाद दास, रौतहटके कपिलेश्वर साह, वैरवाके मदन झा, डाढाके नारायण यादव, गोईठीके हृदयलाल साह, बनैनियाके देवनारायण यादव, तरहीके अवधनारायण साह, बथनाहाके बुद्धिप्रसाद खंग, मधवापुरके बेचन खड्गा, खोक्सरके रामउदगार यादव, सिस्वा बेल्हीके महेन्द्र चौधरी, रामनगरके रामदत्त यादव, दिघवाके नारायण यादव, कमलपुरके जगधर ठाकुर, मैनाकडेरीके विष्णुकान्त झा, मौवाहाके महेन्द्र प्रसाद चौधरी आ प्राविधिक सहायक यशोदानन्द चौधरीके नाममे समेत उजुरी दर्ता भेल कार्यालयके रकेर्डमे उल्लेख अछि । उजुरी आ घटनाके प्रकृतिके आधारमे कार्यालयद्वारा सबटा गाविसके अनुसन्धान तथा रिपोर्टिङ्ग करैके काम कैर रहल आ आवश्यकता अनुसार अख्तियारमे पठाबैत जाओत अधिकृत बरालके कथन अछि ।

Program Schedule
Bani Bahas 09:00 am - 10:00 am Latest Hindi Song 10:00 am - 11:00 am National News 11:00 am - 11:20 am Maithili Songs 11:20 am - 12:00 pm [+] View all
Public Poll
No Poll Added
CEA IJ CEA Advertise