
सप्तरीमे अहि बर्ष आमके उत्पादनमे कमी आएत

सिएफएम डेस्क, २६ चैत्र ।
आमके राजधानी कहिके चिनहै बाला सप्तरी जिल्लामे अहि बर्ष आमके उत्पादन गत बर्षके तुलनामे ३० सँ ३५ प्रतिशत कम भेल अछि । आममे देखल गेल रोग आ हरेक एक बर्ष रहिके फैर रहल आ वंशाणुगत गुणके कारण आमके उत्पादनमे कमि आएत ।
आम उत्पादनमे मुलुकमे ख्याति चलल सप्तरी जिल्ला बहुतरो स्थानमे करि बर्षके करिब ३० हजार मेट्रिक टन आम उत्पादन होएत आ देश तथा विदेशमे निर्यात होएत आवि रहल अछि । वितल बर्ष ५ हजार ४ सौ ५० हेक्टर क्षेत्रफलमे लगाओल गेल आम अहि बर्ष क्षेत्रफलके हिसावसँ २ सँ ३ हेक्टर बढ्त मुद्दा उत्पादन घटत जिल्ला कृषि कार्यालयके प्रमुख अनुपलाल साह बतौलक ।
आमके वंशानुगत गुण अनुसारे वितल बर्ष अत्यधिक आम फरल आ अहि बर्ष स्व्तः उत्पादनमे कमि आओत कहैत प्रमुख साल आममे देखल गेल रोग आ किराके प्रकोपके कारण भी सरदर ३० सँ ३५ प्रतिशतके उत्पादनमे कमी आओत ।
अहि बर्ष आममे गमोसिस रोग आ गवारो, कत्ले, मिलीवल, हपर, औसा लगायतके किराके प्रकोप देखल गेल साह बतौलक अछि ।
रुपनगर, जण्डौल, प्रसवनी, सीतापुर, कल्याणपुर, कुसाहा, ठेलिया, धरमपुर लगायतके गाविस सप्तरीमे अत्यधिक आम फरैबाला स्थानके रुपमे चिनल जाएत अछि । आमके लेल अत्यन्त उपयुक्त हावापानी भेल सप्तरीमे अहि बर्ष करिब ........ मेट्रिक टन मात्र आम उत्पादन होएक अनुगमान केलक कृषि कार्यालय प्रमुख साहल बतौलक ।
कृषकसभमे आमखेतीके लेल दुःख करैके परम्परा हराबैत गेल, किरा मारैबाला तथा प्रविधिके विकास करि उत्पादन बढाबैके कार्यालयके तर्फसँ समेत पर्याप्त बजेट नहि भेलाके कारण आम उत्पादनमे कमी आओत साहके कथन अछि ।









